हिलकोर
२०१६ अक्टोबर ३ · १५ मिनेट
दुराग्मनके बाद पहिल बेर नैहर आएल शिल्पा अपन माइ शशिकलालग कनै छै । ओ अपन माइके सासुरके दुखडा सुनबै छै । शशिकला शिल्पाके ढाँढस बन्हबै छै । राम कृष्णापर अपन भडास निकालै छै । कृष्णा परिवार नियोजनक साधन प्रयोग कऽरहल छै ओहि बातके रामके दुख लागल छै । इम्हर रहिम करिमाके बेटा धरती छोरि दै छै । करिमा बेटाके इन्तकालसँ बेसुध भेल छै । ताबितेमे रहिम सेहो अपन गाम अबै छै । की रहिम अपन बेटाके अन्तिम बेर देख सकतै ? राम कृष्णाके की सब कहलकै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।