हिलकोर
२०१६ अक्टोबर ३ · १४ मिनेट
विदेशमे रहल रहिमके रुकैया फोन करै छै आ कहै छै जे बौआ बड बिमार छै । रहिम कहै छै जे ओ जल्दीये सब किछु मिलाकऽ गाम एतै । शिल्पा काशिरामके फोन करै छै । ओ फोनपर बहुत कनैत रहै छै । काशिराम मनोहरके कहै छै जे शिल्पा बड कनै छलै । ओकरा शिल्पा लेल चिन्ता भऽरहल छै । जयराम सम्तोलीयाके कहै छै जे ओ उदगारके खाना पर बजाबऽ चाहै छै । सम्तोलीया कहै छै जे उदगार नइ मानतै । जयराम विश्वास दियबै छै जे उदगार मानि जेतै । की उदगार फेरसऽ जयराम ओत्त एतै ? रहिम गाम केना फिर्ता एतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।