हिलकोर
२०१६ अक्टोबर ३ · १५ मिनेट
काशिराम शिल्पाके विवाह गगनपुरके लडकासँ तय कदेलकै ताहिलेल शशिकला काशिरामपर पिताई छै । काशिराम आ शशिकलामे अही बातके लऽकऽ बाताबाती भऽजाई छै । पिपहियाके उदगार आ नरेनपुरके झलक, जे एकदोसरसँ बहुत प्रेम करै छै, अपन अपन मोनक बात एकदोसरके कहै छै । विवाहके बाद अपन जिन्दगी केहन हेतै कहिकऽ झलक उदगारसँ प्रश्न करै छै । विदेशमे रहल रहिमके ओकर साथि सलाउद्दिन पुछै छै जे ओ अपन घरके लोकसँ अपन काजके बारेमे झुठ कैला बजै छै । ताहि पर रहिम कहै छै जे ओ कोन मुँहसऽ अपन परिवारके लोकके सच बात कहौक ।