हिलकोर
२०१६ अक्टोबर ३ · १४ मिनेट
जयरामके हाथ पकलाके बाद अोकरासऽ अपन काज काएल नइ होइ छै । अो सम्तोलीयाके नहायमे सहयोग कऽ देबऽ लेल कहै छै लेकीन समतोलीया नइ मानै छै । विदेश गेल रहिम पहिल बेर घरमे फोन करै छै । अो रुकैयासऽ कहिकऽ जनार्दनके फोन करऽ लेल खबर पठबै छै । इम्हर बिमारीके कारण आराम कऽ रहल रधियाके कृष्णा खेतपर काज करऽ जाए लेल दबाब दै छै । रधियाके खराब स्वास्थ्यके वास्ता नइ करैत कृष्णा अोकरा पर खेत पर जाए लेल तम्साइ छै । हिलकोरमे आगा की सब हेतै से सुनु अगिल्का भागमे ।