हिलकोर
२०१६ सेप्टेम्बर २२ · १४ मिनेट
जयराम खिसियाल घर अबै छै आ सम्तोलीया जयराममे झगडा होइछै । जयराम सम्तोलीयाके फेरसऽ पिटऽ चाहै छै लेकीन अहि बेर जयरामके वार उल्टा परि जाइ छै । रहिम आ मुस्तकिम पैसा लेबऽ जनार्दन ओत्त गेल छै । जनार्दन मुस्तकिमके कहै छै जे रहिमके विदेशमे बढिया काज भेटल छै । ओ अफिसमे बैसकऽ आराम सऽ काज करतै । रधीया आ झलक फूलबारीमे फूल रोपैत रहै छै । कृष्णा सेहो अबै छै । कृष्णा कहै छै जे ओकरा अहिबेर बेटे हेतै । कृष्णाके बातपर रधीया आ झलकके की प्रतिक्रिया हेतै ? जनार्दनके बात की सच छै ?