हिलकोररुकैया करीमाके कहै छै जे बच्चा लटल जाइ छै । ओ करीमाके बच्चाके नीकसँ दुध पियाबऽ लेल कहैछै । लेकिन करीमा कहै छै जे ओकरा दुध नइ होइ छै । काशिराम अपन बेटी शिल्पाके स्कुल नइ जाइ देबऽ चाहैछै । लेकीन शिल्पाके माइ शशिकला अपन बेटीके स्कुल पठेबाक अडान पर छै । इम्हरसियाबतीके जयरामके सबसँनीक आ नजदीकके साथी उदगार पसन्द नइ छै । ओ जयरामके कहै छै अपन साथीसऽ दुर रहऽ लेल ।की शिल्पास्कुल जेतै ? आखिर सियाबती उदगारके कैला पसन्द नइ करै छै !