हिलकोरमनोहर काशिरामके बेटी शिल्पाके भविष्यके बारेमे सोचऽ लेल कहै छै । काशिराम मनोहरके बातसुनिकऽ परेशान भऽजाइ छै । नरेनपुरके राम आ कृष्णा दुनु अपन गिरहत अञ्जनीके प्रशंसा कऽ रहल छै । कृष्णारामके कहै छै जे ओकर रामके पुतहु बड बुधियार छै । लेकीन राम ओकरा बुडबक बुझै छै । इम्हर रहिम जनार्धनकेकहै छै जे ओकरो विदेश जेबाक छै । जनार्धन रहिमके चिन्ता नइ करऽ लेल कहै छै । मनोहरके आशय की छै ? कीरहिम सचमे विदेश चलि जेतै ?